समस्तीपुर मे अधिवक्ता हत्याकांडक विरोध मे नीतीश कुमारक पुतला जराओल गेल

    0
    266

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: आइसा, इनौस आ भाकपा माले रविदिन अधिवक्ता विजय कुमार पोद्दारक हत्या के विरोध मे विरोध मार्च निकालि कय मुख्यमंत्रीक पुतला जरेलक। माल गोदाम चौक स्थित लेनिन आश्रम स निकलि कय ई जुलूस विभिन्न सड़क मार्ग स होईत स्टेशन चौक चौराहा पर पहुंच कय सभा मे तब्दील भेल।

    मार्च मे बढ़ैत अपराध पर रोक लगेबाक, मृतक अधिवक्ता के हत्यारा के जल्द गिरफ्तार करबाक, मृतक के परिजन के 20 लाख रुपैया मुआवजा व सरकारी नौकरी देबाक नारा लगाओल जा रहल छल। अध्यक्षता इनौस जिलाध्यक्ष सह भाकपा माले नेता सुरेंद्र प्रसाद सिंह केलनि। वक्ता सब कहलनि जे, शहर के घोषलेन निवासी अधिवक्ताक शनिदिन गोली मारि कय हत्या कायल गेल। यह जंगल राज-२ के सरकार अछि।

    जिला मे कानून व्यवस्थाक स्थिति बदतर होईत जा रहल अछि। लोक घर स निकलबा सं डराइत अछि। बावजूद अहि के सांसद, विधायक, विधान पार्षद सहित विपक्ष मौन अछि। मौका पर आइसा जिलाध्यक्ष सुनील कुमार, मनीष कुमार, माले जिला सचिव प्रो. उमेश कुमार, इनौस जिला सचिव राम कुमार, जितेंद्र कुशवाहा, जीवछ पासवान, सुखलाल यादव, मिथिलेश कुमार, विमल पासवान, देवेंद्र ठाकुर आदि उपस्थित छलाह।