शिक्षकक भेषमे हैवान, मिथिला एक बेर फेर सं शर्मसार

    0
    307

    दिल्ली-मिथिला मिररः गुरू गोविंद दोहू खड़े का के लागू पाए, बलिहारी गुरू आपहि गोविंद दियो बताइ। जाहि समाजमे गुरूक दर्जा गोविंद अर्थात स्वयं नारायण सं उपर देल गेल हो आखिर ओहि समाजकें केकर नजरि लागि गेलैक, जे ओहि समाजमे गुरूक भेषमे आब हैवान भेट रहल अछि। टटका मामला सेहो बिहारक मिथिला क्षेत्रक समस्तीपुर जिलाक हसनपुर थाना क्षेत्रक अछि जाहिठाम 7म कक्षामे पढ़ैवाली एकटा बचिया गुड़िया (बदलल नाम) कें ओकर शिक्षकक यौन शोषण करैत छल।
    पीड़ित बचिया राजीव चौधरी नामक एकटा शिक्षक लग ट्यूशन पढ़ैत छल अहि क्रममे शिक्षक ओहि बच्चाक संग अश्लील हरकत केनाई शुरू कय देलक। किछु दिन त बचिया चुप रहल मुदा ओहिकें बाद ओहि हैवानक दरिंदगी समस्त सीमाकें लांघी देलक। बादमे कोनो ना ओहि हैवान लग सं जान बचा पीड़ित बचिया अपना अभिभावक लग पहुंचवामे सफल रहली।
    लड़कीक बात सुनलाक बाद पीड़ित परिवार हसनपुर थानामे आरोपी मास्टक खिलाफ प्राथमिकी दर्ज करवौलनि। हांलाकि ओकरा बाद मास्टर द्वारा पीड़ित परिवारकें केस वापिस लेवाक लेल बेर-बेर धमकी देल जाइत रहल। ओहिकें बाद तंग आबि पीड़ित परिवार समस्तीपुर जा एसपी सं अहि मैमलाकें शिकायत कैलनि आ ओहिठाम सं आरोपी मास्टर कें अविलम्ब गिरफ्तारी करवाक भरोसा समस्तीपुर एसपी पीड़ित परिजनकें देलनि।