सीतामढ़ी मे अगिलगि सं ढाई लाख’क संपत्ति खाक

    0
    253

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: प्रखंड क्षेत्रके बघमरी गाम मे रविदिन राति अगिलगीक घटना मे तीन गोट किसानक घर जरि कय राख भय गेल। अहि घटना मे अन्न, वस्त्र, आभूषण व फर्नीचर सहित लगभग ढाई लाखक संपत्ति जरि कय खाक भय गेल। अहि संबंध मे पीड़ित थाना मे मामला दर्ज करौलक अछि।

    जानकारीक अनुसार आगि कृष्ण सिंहक घर स शुरू भेल। घरक लोक अप्पन-अप्पन कमरा मे सुतल छल। देर राति घर मे अचानक आगि लागि गेल। आगि तुरंत विकराल रूप लय लेलक आ देखते-देखते पड़ोसी गोविंद सिंह आ मुरारी सिंहक घर के अप्पन आगोश मे लय लेलक। शोरगुल सुनिकय जुटल ग्रामीण कहूना आगि पर काबू केलक।

    तीनू परिवार ठंडक अहि मौसम मे आकाशक नीचां रहबाक लेल मजबूर अछि। घटनाक सूचना पर पंचायतक मुखिया शर्मिला झा, ग्रामीण सुरेंद्र झा, नागेंद्र सिंह व अन्य पीड़ित सं भेंट कय सहायताक आस्वाशन देलनि। अंचलाधिकारी स पीड़ितक लेल मुआवजाक मांग सेहो केलनि।