एमएलसी चुनाव: महागठबंधन एक तथा एनडीए दू सीट पर विजय, एकटा सीटक गिनती जारी

    0
    290

    पटना, मिथिला मिरर: पांच राज्यक चुनाव परिणामकें बाद सबहक नजरि बिहार विधान परिषद’क 4 टा सीट पर भेल मतदान पर छल। चारि टामे तीन टा सीटक परिणाम घोषित कय देल गेल अछि आ एकटा सीटक लेल मतक गिनती जारी अछि। तीनटा घोषित परिणाममे सं दू टा सीट एनडीएके खातामे गेल अछि आ एकटा सीट महागठबंधनके खातामे।

    विधान परिषद चुनावमे चारि सीटमे सं दू टाकें रिजल्ट बुधदिन साँझमे घोषित कएल गेल, जहन कि एकटा सीटक परिणाम देर राति जारी भेल आ एकटा सीटक गिनती जारी अछि।

    कोसी शिक्षक सीट सं जतय जदयूकें डॉ संजीव कुमार सिंह लगातार तेसर बेर जीत हासिल केलनि, ओतहि गया शिक्षक सीट पर रालोसपाके संजीव श्याम सिंह लगातार दोसर बेर कब्जा केलनि। जहन कि गया स्नातक सीट सं भाजपा प्रत्याशी व विधान परिषदके सभापति अवधेश नारायण सिंह जीत हासिल केलनि, ओतहि सारण स्नातक सीटक मतगणना जारी अछि।