बिरौल के जल्दिये भेटत नगर परिषदक दर्जा

    0
    423

    दरभंगा, मिथिला मिरर: खाद्य आपूर्ति एवं उपभोक्ता संरक्षण मंत्री मदन सहनी रविदिन एकटा पब्लिक स्कूलक स्थापना दिवस समारोह के दीप प्रज्वलित कय उद्घाटन केलनि। ओ अभिभावक सं बच्चा पर ध्यान देबाक अपील केलनि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार उच्च शिक्षाक लेल छात्र व छात्राक लेल स्टूडेंट क्रेडिट कार्डक तहत चारि लाख रुपैया के ऋणक प्रावधान केने छथि।

    मंत्री कहलनि जे, बिरौल के नगर परिषदक दर्जा भेटबाक दिशा मे काज चलि रहल अछि। बिरौल के जिला बनेबाक सवाल पर ओ कहलनि जे, प्रयास कायल जा रहल अछि। जहन बिरौल जिला बनाओल जायत त लोक के दरभंगा जेबाक जरूरत नहि पड़त। ओ बिरौल अनुमंडलक विकास के विषय मे कहलनि जे, सात टा पैघ पुलक निर्माण कायल जायत। अहिके लेल शीघ्र निविदा जारी कायल जायत। बिरौल मे एक, गौड़ाबौराम मे दू आ किरतपुर मे पांच पुल बनत।