मधुबनीक 55 एपीएचसी मे नियुक्त होयत एमबीबीएस डाॅक्टर

    0
    412

    मधुबनी, मिथिला मिरर: आब ग्रामीण क्षेत्र मे सेहो लोक कें एमबीबीएस चिकित्सक सं इलाजक सुविधा मुहैया भय सकत। अहि दिशा मे पहल शुरू कय देल गेल अछि। स्वास्थ्य विभाग आब अतिरिक्त प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र मे एमबीबीएस चिकित्सकक नियुक्ति करबाक प्रक्रिया शुरू कय देलक अछि। अहि के तहत सोमदिन देर साँझ जिला पदाधिकारीक कक्ष मे जिला पदाधिकारी गिरिवर दयाल सिंह’क अध्यक्षता मे एमबीबीएस चिकित्सकक वाक इन इंटरव्यू लेल गेल।

    मधुबनी जिलाक 55 एपीएचसी अछि। जाहि मे एमबीबीएस चिकित्सकक नियुक्ति होयत। पहिल चरण मे 21 एमबीबीएस चिकित्सकक नियुक्ति होयत। स्वास्थ्य विभाग सं भेटल जानकारी के अनुसार अहि 21 चिकित्सकक नियुक्ति 11 माहक लेल संविदा पर होयत। इंटरव्यू मे सिविल सर्जन सह सचिव जिला स्वास्थ्य समिति डाॅ अमरनाथ झा, प्रभारी एसीएमओ डा. आर डी चौधरी, डीपीएम दयानिधि सेहो उपस्थित छलाह।