वैशाली मे स्कूल सं आबि रहल छह सालक बच्चीक संग दुष्कर्म

    0
    290

    वैशाली, मिथिला मिरर: बिहारक वैशाली मे शनिदिन एकटा नाबालिग बचियाक संग बलात्कारक वारदात के अंजाम देल गेल। घटना जिलाक सहदेई के अछि। पीड़िताक उम्र मात्र छह साल अछहि, जहन कि आरोपीक उम्र 19 साल बताओल जा रहल अछि। आरोपी युवक बच्ची के पड़ोसी बताओल जा रहल अछि। युवक बच्ची के फुसला क ईंट भट्टा मे घटना के अंजाम देलक।

    पीड़ित बच्ची महादलित समुदाय सं अबैत अछि। घटनाक बाद आरोपी युवक घर सं फरार भय गेल। पीड़िता के दर अस्पताल मे मेडिकल कराओल गेल अछि। पुलिस मामलाक छानबीन मे जुटल अछि। पीड़िता के परिजन के अनुसार स्कूल सं आबय घडी मे बच्चीक संग दुष्कर्मक घटना के अंजाम देल गेल।