दरभंगा मे जारक कारने 8 जनवरी धरि स्कूल बंद रखबाक आदेश

    0
    488

    दरभंगा, मिथिला मिरर: कनकनी वला जार तथा शीतलहर के देखैत दरभंगा जिलाधिकारी डॉ.चंद्रशेखर 31 दिसंबर सं 8 जनवरी धरि सरकारी तथा गैर सरकारी स्कूल के बंद रखबाक आदेश देलन्हि अछि। जारी आदेश के अनुसार, जिला के सब प्राथमिक, मध्य तथा उच्च विद्यालय बंद रहत।

    जिला शिक्षा पदाधिकारी के अहि आदेशक अनुपालन सुनिश्चित करबाक लेल कहल गेल अछि। अहि आदेशक अवहेलना करय वला पर कार्रवाई कायल जायत। ज्ञात हो कि सरकारी स्कूल मे त डीएम के आदेशक अनुपालन होईत अछि, मुदा किछु निजी विद्यालय अहि आदेश के ठेंगा देखा दैत अछि।