आम सभा के संबोधित करैत ब्रह्मपुरा मसवासी पंचायतक मुखिया

    0
    294

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगाक घनश्यामपुर प्रखण्ड अंतर्गत ब्रह्मपुरा मसवासी पंचायतक अहिराईन गाम के पंचायत भवनक प्रांगण मे आम सभा के संबोधित करैत पंचायतक मुखिया, रोजगार सेवक तथा वार्ड सदस्य पंचायतक राजकाजक उल्लेख केलनि।

    आम सभा मे रोजगार सेवक द्वारा सार्वजनिक योजनाक तहत पोखरि निर्माण, भूमि विकास, ग्रामीण सड़क निर्माण, आँगन वाड़ी केंद्र निर्माण, वृक्षा रोपण सहित इत्यादि कार्यक योजना बतौलनि। संगहि पंचायतक ग्रामीण अप्पन समस्या पंचायतक मुखियाक समक्ष रखलनि।

    पंचायतक मुखिया बेबी देवी पति संतोष साहू द्वारा ग्रामीण के खुला मे शौच नहि जेबाक लेल कहल गेल तथा पंचायत के एकटा आदर्श पंचायत बनेबाक तथा खुला में शौच मुक्त करबाक उद्देश्य देलनि।