केंद्र सरकारक विरोध मे सड़क पर सब्जी बेचय निकललाह सांसद पप्पू यादव

    0
    464

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: जनअधिकार पार्टीक संयोजक आ सांसद पप्पू यादव बिहारशरीफ मे माँथ पर टोकरी लय सड़क पर सब्जी बेचबाक लेल निकललाह त लोक आश्चर्यचकित रहि गेल। बाद मे लोके के पता चलल कि नोटबंदीक विरोध मे सांसद टोकरी उठेने छथि।

    सांसद रविदिन पत्रकार सं बातचीत मे कहने छलाह जे, देश मे नेता सब सं पैघ चोर अछि।  अहि के बाद ओ बाबा आ धर्मगुरु पर निशाना साधने छलाह। सांसद तेसर नंबर पर ब्यूरोक्रेट के रखने छलाह आ कहने छलाह जे अहि सब के देशक उद्योगपति आ पूंजीपति चोर बनबैत अछि।

    केंद्र सरकार द्वारा 1000-500 के पुरान नोट बंद केलाक बाद केंद्र सरकार के घेरैत सांसद चेतावनी देलनि जे, यदि केंद्र सरकार नोट बंदी के कारण आम जनता, मजदूर आ किसानक परेशानी दूर नहि करत त जनधिकार पार्टी सड़क पर उतड़ि जायत।