समस्तीपुर मे आपराधिक कहर, 24 घंटाक भीतर दू गोटेक मारलक गोली

    0
    462

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर जिला पिछला 24 घंटाक दौरान गोलीक तड़तड़ाहट स थर्रा उठल अछि। जतय एकदिस शुक्रदिन साँझ मे अज्ञात अपरधी विथान पंचायतक पूर्व मुखिया रामदेव के गोली मारि कय घायल कय देलक। ओतहि दोसर दिस शनिदिन भोर मे बिथान मे गोलीबारीक घटना के अंजाम दैत एकटा महिला के हत्या कय देलक।

    भूमि विवाद मे भेल अहि गोलीबारीक घटना मे महिला अंजू देवीक मौत भय गेल। गोलीबारी के प्रत्यक्षदर्शी गामक चौकीदार के अनुसार पूर्व सं संतोष यादव आ संजय यादव के बीच जमीन समेत बहुतो मामलाक लेल विवाद चलि रहल छल।

    बिथान थानाध्यक्ष गाम मे विवाद के सुलझेबाक लेल आबि रहल छल ताहि सं पूर्व अचानक अंधाधुंध फायरिंग शुरू भय गेल, जाहि मे अंजू देवीक मौत भय गेल। पुलिस कप्तान नवल किशोर सिंह कहलनि जे, पुलिस अहि मामला मे गोली चलाबय वला तीन गोटे के गिरफ्तार केलक अछि।