दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: आरबी कालेज दलसिंहसराय मे आयोजित अंतर महाविद्यालय युवा महोत्सव 2016 मे ऑवर आल चैम्पियन बनला पर सीएम साइंस कालेज मे हर्ष व्याप्त अछि। प्रधानाचार्य डा. अरविन्द कुमार झा तथा खेल एवं संस्कृति विभागक संयोजक डा. सुनीला दास छात्र छात्रा के अहि उपलब्धिक लेल बधाई देलनि।
डा. दास कहलनि जे, युवा महोत्सव मे महज 11 कॉलेज भागीदारी भेल छल। अहि महोत्सव मे सीएम साइंस कालेज के प्रतिभागी अव्वल रहलाह। दोसर स्थान पर महिला कालेज समस्तीपुर तथा तेसर स्थान पर आरबी कालेज रहल। सीएम साइंस कालेज के प्रतिभागी क्विज फोटोग्राफी, बन एक्ट प्ले, इस्टालेशन माइम तथा फोक आर्केस्ट्रा मे प्रथम रहलाह। कुल मिलाकय सीएम साइंस कॉलेजक टीम के 84 अंक भेटल।




