हादसाक गवाह बनल छैठ पर्व, अलग-अलग हादसा मे 25 गोटेक मौत

    0
    289

    मिथिला मिरर: बिहार मे छैठ पर्वक दोसर अर्घक दौरान अलग-अलग हादसा मे 20 गोटेक डूबला सं मौत भय गेल। मरय वला मे 14 गोट बच्चा शामिल अछि। राज्य के मुजफ्फरपुर के मिठनपुरा आ मनिसारी मे भेल हादसा मे क्रमश: दू आ पांच बच्चा डूबि गेल। दोसर दिस खगडि़या के चौथम स्थित भरपुरा घाट पर सेहो तीन गोट बच्चाक मौत बागमती नदीक तेज धार मे डूबला सं भय गेल।

    सूत्रक अनुसार पूर्णिया मे एकटा बच्चाक डूबला सं मौत भय गेल, ओतहि दोसर दिस पटना सं सटल बाढ़ मे मलाही गंगा घाट पर पांच गोट बच्चाक नदी मे लापता हेबाक खबरि अछि, जाहि मे दू टा के मौत भय गेल, जहन कि तीन गोट बच्चा के बचा लेल गेल।

    बेगूसराय के कुर्था स्थित मानिकपुर मे अर्घ्य देबाक दौरान एकटा युवक के डूबला सं मौत भय गेल, जहन कि अरवल जिला मे सेहो अर्घ्य के दौरान एकटा व्यक्ति के डूबय के खबरि अछि। जहन कि गया मे सेहो एकटा युवक के डूबला सं मौत भय गेल। संगहि दरभंगा मे ट्रेनक चपेट मे एला सं पांच गोटक मौत भय गेल।