प्रशासनिक पदाधिकारी झंझारपुर के उपकारा गृह मे केलनि छापेमारी

    0
    354

    मधुबनी, मिथिला मिरर: एसडीओ जगदीश कुमार तथा एएसपी निधि रानी बृहस्पति दिन भोरे करीब चारि बजे झंझारपुर उपकारा गृह मे छापेमारी केलनि। अहि छापेमारी मे झंझारपुर तथा लखनौर थाना के अलावा आरएस ओपी के पुलिस अधिकारी व सशस्त्र बल शामिल छल।

    सूत्रक अनुसार करीब एक घंटा धरि उपकारा के सब बंदी वार्डक सघन तलाशी लेल गेल। मुदा तलाशी मे कोनो आपतिजनक वस्तु नहि भेटल।

    ज्ञात हो कि झंझारपुर उपकार मे किछु दिन पहिने आपराधिक गतिविधि के सूचना भेटल छल, जाहि के बाद प्रशासन सतर्क भय गेल छल।