जयनगर इंडो-नेपाल सीमा पर 80 टा मवेशीक संग चारि टा तस्कर गिरफ्तार

    0
    306

    मधुबनी, मिथिला मिरर-पारस कुमार ठाकुर: 14वीं बटालियन के खौना एसएसबी जवान के इंडो-नेपाल सीमा पर तस्करी रोकबा मे पैघ सफलता हाथ लागल। बुधदिन देर राति 80 टा मवेशीक संग चारिटा तस्कर के कब्ज़ा मे लेल गेल। गिरफ्तार तस्कर नेपाल के सिरहा गाम के आलम मंसूरी, रफीक मंसूरी, दिलशान मंसूरी एवं विकास कुमार बताओल जा रहल अछि।

    तस्कर नेपाल स मवेशी आनि कय राति मे चोरी-छिपे भारतीय सीमा मे प्रवेश कय रहल छल। जतय गस्ती कय रहल एसएसबीक जवान मवेशी के संग-संग चारु तस्कर के गिरफ्तार केलक। कमांडेंट अजित सिंह राठौर कहलनि जे, जब्त मवेशी मे 79 टा गाय एवं एक टा बरद अछि। जकर कीमत भारतीय बाजार मे करीब सात लाख रुपैया अछि। ओ कहलनि जे, जब्त मवेशी संबंधित कागजात एवं तस्कर के जयनगर कस्टम के हवाले कय देल गेल अछि।

    राठौर के अनुसार एसएसबी जवान तस्करी तथा अन्य गतिविधि पर नजरि बनउने अछि। कोनो तस्कर सीमा पर एसएसबी स नहि बचि सकैत अछि। ओ कहलनि जे, तस्करी रोकबाक लेल आम आदमीक सहयोग आवश्यक अछि।