कुख्यात अपराधी अनिश ठाकुर दरभंगा स गिरफ्तार

    0
    904

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहारक दरभंगा जिलाक कमतौल थाना क्षेत्र से पुलिस बुधदिन कुख्यात अपराधी अनिश ठाकुर उर्फ अनिल ठाकुर के गिरफ्तार केलनि। गिरफ्तारीक बाद पुलिस अधीक्षक सत्यवीर सिंह कहलनि जे, सूचनाक आधार पर कमतौल थाना क्षेत्र स्थित एकटा ठिकाना पर छापेमारी कय कुख्यात अपराधी अनिश के गिरफ्तार कायल गेल। तलाशी के दौरान अनिशक संग मे एकटा अमेरिकन पिस्तौल तथा किछु कारतूस भेटल।

    ज्ञात हो कि अनिश दरभंगा सहित समुच्चा बिहार मे अप्पन खौफ मचौने छल। सूत्रक अनुसार अनिश पर कतेको हत्या, लूट, मारपीट इत्यादिक मामला चलि रहल अछि।