महेन्द्र मलंगियाकें संगीत नाटक सम्मान 2016 प्रदान करैत नेपालक राष्ट्रपति विद्या देवी भंडारी

    0
    294

    दिल्ली-मिथिला मिररः मैथिली भाषाक सर्वकालीन महानतम् नाटककारमे सं एक महेन्द्र मलंगियाकें सोमदिन नेपालक राजधानी काठमांडूमे नेपाल संगीत तथा नाट्य राष्ट्रीय प्रज्ञा प्रतिष्ठानमे संगीत नाटक सम्मान 2016 सं सम्मानित कैल गेलनि। मैथिली नाट्यक्षेत्रमे अतुल्यनीय योगदान देनिहार महेन्द्र मलंगियाकें नेपालक राष्ट्रपति विद्या देवी भंडारी अहि सम्मान सं सम्मानित कैलनि।

    मैथिली नाटकक क्षेत्रमे विशिष्ट योगदानक वास्ते महेन्द्र मलंगिया कें सम्मान स्वरूप एक लाख टका नेपाली, प्रशस्तिपत्र आ अंग वस्त्र दय सस्म्मानि कैल गेलनि। सम्मान ग्रहण केलाक बाद मिथिला मिरर सं बातचीत करैत महेन्द्र मलंगिया कहला जे निश्चित रूपहिं अहि सम्मान बहुत बेसी छैक कारण कोनो विधाक लेल जौं व्यक्ति ओ संस्थाकें कोनो देशक राष्ट्रपति सम्मानित करैथ त आहि सं बेसी गौरवक क्षण और की भए सकैत छै।
    मैथिली नाटकक जाहि दौर सं गुजैर रहल अछि ओहनमे जौं एहन तरहक सम्मान भेटैय त निश्चित रूपहिं इ दीर्घकाल सं काज रहल आ नवतुरिया दुनूक लेल रामबाण बनि सामने आएत। संगहि युवा वर्ग सेहो बेसी दृढ़ताक संग अपना पथ पर आगू बढ़ता।