मिथिला आंदोलनक अग्रणी चेहरा डॉ. वैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’क तेसर बेटीक निधन

    0
    321

    दिल्ली-मिथिला मिररः मिथिला-मैथिली आंदोलनक शीर्षत्तम चेहरामे सं एक डॉ. वैद्यनाथ चौधरी बैजूक तेसर बेटी जे पेशा सं डॉक्टर छलीह हुनकर निधन भय गेलनि। पैछला 2 बरख सं बेसी सं बेमार चलि रहल डॉ. पुतुल केर निधन मुंबईक टाटा मेमोरियल हॉस्पिटलमे बृहस्पति-शुक्र’क भोरहरवामे करीब साढ़े तीन बजे भेलनि। मिथिला मिररक संपादक संग भेल बातचीतमे बैजू बाबू अहि बातक जानकारी देलनि।

    विपतिक अहि क्षणमे किछु कहवाक स्थितिमे नहि रहल डॉ. चौधरी हबोढकार भय कनैत कहला जे बहुत बड़का विपत्ती देलाह भगवान हमरा परिवारकें। अपनेकें बता दी जे डॉ. पुतुल कें अंतिम संस्कार नासिकमे कैल जेतनि, जाहिठाम भारी संख्यामे मुंबई आ आसपासक शहर सं मैथिलकें जुटवाक अनुमान लगाओल जा रहल अछि। एहन विपरीत परिस्थितिमे डॉ. वैद्यनाथ चौधरी बैजू आ पूरा परिवार कें प्रति मिथिला मिररक संवेदना आ दिवंगत आत्माक शांतिक लेल कामना।