दरभंगामे पीजी डॉक्टरक हड़ताल सं चिकित्सा व्यवस्था प्रभावित

    0
    359

    दरभंगा, मिथिला मिरर: एसकेएमसीएचकें घटनाक विरोध समेत अन्य मांगक समर्थनमे डीएमसीएचकें पीजी डॉक्टर हड़ताल पर चलि गेलाह। यही कारने डीएमसीएचके बहुतो विभागक उपचार व्यवस्था चरमरा गेल। एम्हर मरीजक इलाज वरीय डॉक्टर द्वारा कएल गेल। हड़तालमे सब सं अधिक प्रभावित ओपीडी रहल।

    ई हालत तहन बनल जहन जेडीएके नेतृत्वमे पीजी डॉक्टर साढ़े 11.30 बजे ओपीडीमे घुसिकय जबरन केंद्रीय ओपीडी बंद करा देलनि। अहिकेँ बाद मरीजक पूर्जा कटबा बंद भए गेल। अधिकांश मरीज काउंटरके समक्ष पूर्जाक इंतजारमे सुतल रहल। मरीज अलग व्यवस्था करबाक मांग लए अस्पताल अधीक्षक कार्यालय पहुंचल मुदा लाचार डीएमसीएच प्रशासन कोनो व्वस्था करबा सं मना कए देलक।