सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: रुन्नीसैदपुरकें गायघाटमे कैदी वैन दुर्घटनामे मृत पुलिसकर्मीक परिजनकें 14-14 लाख रुपैयाक मुआवजा देल जाएत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक निर्देश पर अहिमे सं से चारि-चारि लाखक राशि डीएम राजीव रौशन पहिने उपलब्ध करा देने छथि। राशिक चेक परिजनकें देल जा चुकल अछि। बाकी 10 लाख रुपैयाक राशि सेहो उपलब्ध करा देल जाएत।
अहिकेँ अलावा विभागक दिस सं अलग मुआवजा भेटबाक प्रावधान अछि। डीएम कहलनि जे, मृत नक्सलीके परिजनकें सेहो चारि लाख रुपैयाक मुआवजा देल जाएत। अहिकेँ लेल एसपी सं प्रस्ताव मांगल गेल अछि।
बिहार पुलिस मेंस एसोसिएशन घायलक इलाजके लेल एक लाख रुपैयाक राशि देलक अछि।अहिकेँ अलावा 30-30 हजार रुपैया मृतक पुलिसकार्मीक अंत्येष्टिक लेल देल गेल अछि। पुलिस एसोसिएशन आ पुलिस मेंस एसोसिएशन दिस सं चारि लाख रुपैयाक राशि जमा कएल गेल अछि।



