7 सीटक घोषणाक बाद मांझीक नव बखेरा, आओर 3 सीटक मांग

    0
    487

    दिल्ली-मिथिल मिररः एनडीएक घटक दल हिन्दुस्तानी अवाम मोर्चा एनडीएक लेल खास कऽ भाजपाक लेल नव मुसिबत बनल जा रहल अछि। चुनाव सं पहिने जीतन राम मांझी दलित वोटक डर देखा बीजेपीक संग हर तरहक तोल-मोल करवा सं नहि चुकि रहला अछि। गठबंधनक 20 सीटक बाद पांच गोट उम्मीदवार कें बीजेपीक चुनाव चिन्ह पर लड़वेवाक बाद आब जीतन राम मांझी नव बखेरा करैत बीजेपी सं 3 गोट आओर सीटक मांग राखि देलाह। जे निश्चित रूपहिं बीजेपीक लेल चिंताक विषय बनि गेल अछि। 
    बांकिक 7 गोट सीट पर अपन उम्मीदवारक घोषणा करैत मांझी कहला जे हम कंे आओर 3 गोट सीट चाहि। मांझी जाहि 7 गोट उम्मीदवार कें चुनाव मैदान मे उतारलाह हुनका लोकनिक नाम अहि प्रकारेण अछि। 
    विधानसभा ओ उम्मीदवारक नाम
    शेखपुरा- नरेश शाह
    शेरघाटी- मुकेश कुमार
    बेलागंज- शारीम अली
    मसौढ़ी- नूतन पासवान
    सिंहेश्वर- मंजू देवी
    जोकीहाट- जेबा खातून
    शिवहर- लवली आनंद
    अहि कें अलावे तीन गोट अन्य सीटक मांग मांझी केलनि अछि जेकर नाम अहि प्रकार सं अछि इमामगंज, दीघा आओर चकाई। चूंकि चकाई चिराग पासवानक संसदीय क्षेत्रक सीट अछि आ अहि सीट पर ओहो दावा ठोकि रहला अछि। आ पेंच फसल अछि जे अहि सीट सं नरेंद्र सिंहक बेटा विधायक छथि आ अहि सीट सं लड़वाक बात पर अड़ल छथि।