68 सालक भेलथि बॉलीवुडक कालीचरण

    0
    460

    दिल्ली,मिथिला मिरर-जुली रानी झाः बाॉलीवुडक कालीचरण बिहारी बाबू शत्रुघन सिन्हा आई 68 सालक भय गेलथि। बिहारी बाबूक जन्म 9 दिसंबर 1945 कय बिहारक राजधानी पटना में भेल छलनि। शत्रुघन सिन्हा देव आनंद साहेबक फिल्म प्रेम पुजारी में एकटा पाकिस्तानी आर्मीक अफसरक किरदार में प्रथम बेर पर्दा पर आयल रहैथ। ओकरा बाद शत्रु मोहन सहगलक फिल्म में पुलिस आॉफिसरक एकटा छोट सन किरदार में लोकक सामने ऐलथि, अहि फिल्मक नाम छल ‘‘साजन‘‘ जे 1969 में बनल छल। ताहिक बाद बिहारी बाबू कालीचरण, काला पत्थर, दोस्ताना, जानी-दुश्मन, नसीब, सहित कतेको सुपर हिट फिल्म बाॉलिवुड के देलनि। इ सिलसिला सालों चलैत रहल आ शत्रुघन सिन्हा बाॉलिवुडक शेर बनल रहलथि।
    साल 2008 में शत्रु टीवी पर अपन उपस्थिति स्टार वनक कार्यक्रम द ग्रेट इंडियन लाफ्टर चैलेंज में नवजोत सिंह सिद्धूक संग जजक भूमिका में एलथि। फिल्मक बाद शत्रुघन सिन्हा राजनीति में सेहो अपन सफल उपस्थिति दर्ज करवा रहल छथि। 13हम लोकसभा में पटना साहेब सं भारतीय जनता पार्टीक उम्मीदवारक रूप में चुनाव जीत कय बिहारी बाबू ‘‘अटल बिहारी वाजपेयी जीक‘‘ सरकार में क्रमशः स्वास्थ्य मंत्री आ जहाज़रानी मंत्रीक रूप रहि चुकल छथि। जेकरा बाद फेर शत्रुघन सिन्हा 15हम लोकसभा में पटना साहेब सं बीजेपीक सांसदक रूप में जीत दर्ज कय राजनीति में सक्रिय छथि। शत्रुघन सिन्हा के स्टारडस्ट लाईफ टाइम अचिवमेंट अवार्ड आ ज़ी सिने लाइफ टाइम अचिवमेंट अवार्ड सहित कतेको पुस्कार जीत चुकल छथि। शत्रुघन सिन्हा किछु फिल्म में प्लेबैक सिंगरक भूमिका सेहो निभा चुकल छथि।
    मिथिला मिरर के संपादक आ सीईओ हुनक सरकारी आवास 10 तालकटोरा रोड जा हुनका बधाई देलनि। शत्रुघन सिन्हा अपने त मुंबई में छथि मुदा हुनकार निजी सचिव मृत्युंजय मिश्रा मिथिला मिरर के कोटि सह धन्यवाद ज्ञापन कैलनि। बिहारी बाबूक 68ठम जन्म दिन पर मिथिला मिरर के तरफ सं हार्दिक बधाई आ कोटि-कोटि स्नेह।