6 सितंबर कऽ भय सकैत अछि बिहार विधानसभाक नीतिक घोषणा

    0
    317

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार मे विधानसभा चुनावक समय जहिना-जहिना निकट आबि रहल अछि तहिना-तहिना राजनीतिक दल अपना-अपना हिसाब सं तैयारी मे जुटी गेलाह अछि। एहन संभावना अछि कि 6 सितंबर यानि रविदिन निर्वाचन आयोग बिहार विधानसभाकें तिथीक घोषणा क देत आ ओहि कें बाद सं बिहार मे चुनाव आचार संहिताक शुभारंभ सेहो भय जायत। एहन तरहक खबैर अछि कि अक्टूबर-नवंबर मे होइत वला विधानसभा चुनाव कें चारि-छह चरण मे कराओल जायत। 
    अहि संदर्भ मे शुक्रदिन दिल्लीक निर्वाचन सदन मे चुनाव आयोगक महत्वपूर्ण बैसार संपन्न भेल। अहि बैसार मे चुनाव आयोगक वरिष्ठ अधिकारीक संग-संग गृहमंत्रालय कें आला अधिकारी सब सेहो उपस्थित छलाह। बैसार कें बाद राज्यक समस्त जिलाक निर्वाचन अधिकारी कें इ निर्देश देल गेल कि बिहारक समस्त जिला निर्वाचनक अपन पोर्टल हेवाक चाही।