दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: बिहार के भूमि सुधार एवं राजस्व मंत्री डा. मदन मोहन झा बुधदिन दिवंगत प्रखंड अध्यक्षत सह केवटगामा पंचायत के मुखिया रामचंद्र यादवक परिजन के कांग्रेस पार्टीक दिस सं 25 हजारक चेक प्रदान केलनि।
अहि मौक़ा पर मंत्री दूरभाष पर एसएसपी स बातचीत कय मुखियाक हत्यारा के अविलंब गिरफ्तारीक निर्देश देलनि। ओतहि दोसर दिस कार्यकता के संबोधित करैत कहलनि जे, कांग्रेस के एकटा कर्मठ सिपाही चलि गेलाह, जिनकर भरपाई असंभव अछि।
अहि मौक़ा पर जिला अध्यक्ष सिताराम चौधरी, हीरा सिहं, बिजल पासवान, शंकर झा, मधुकांत झा मिन्टु, रामलखन राय, उपेन्द्र मुखिया, पलटन मुखिया सहित बहुतो लोक उपस्थित छलाह।




