10 सालक बच्चा के अगवा कय बियाह करौलक

    0
    360

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे पटना के बुद्धा कॉलोनी थाना अन्तर्गत चकारम मे रहय वला एकटा दूध व्यवसायी के दस सालक बेटा के ओकरे पितयौत बहिनोई रविदिन राति अगवा कय लेलक आ ओकर विवाह करा देलक। पुलिस अहि मामला मे केस दर्ज कय आरोपित के गिरफ्तार कय लेलक अछि।

    सूत्रक अनुसार पुलिस बच्चा के बरामद कय लेलक अछि। हालांकि अन्य आरोपित एखनहु फरार अछि। पुलिसक अनुसार दूध व्यवसायी के दस सालक बेटा के रविदिन साँझ मे बहला-फुसला कय पितयौत बहिनोई अगवा कय लेने छल।

    अगवा केला के बाद बच्चा के कादिरगंज थाना के पकौड़ा गाम मे ओकर विवाह करवा देलक। मामला दर्ज भेलाक बाद पुलिस छापेमारी कय बच्चा के बरामद केलक आ आरोपित के गिरफ्तार कायल गेल।