पीएनबी ग्राहक सेवा केन्द्र सं डेढ़ लाख रुपैयाक लूट

    0
    391

    औरंगाबाद, मिथिला मिरर: बिहार के औरंगाबाद जिला के हसपुरा थाना क्षेत्र स्थित पंजाब नेशनल बैंक के ग्राहक सेवा केन्द्र स आय दिनदहाड़े डेढ़ लाख रुपैया लूटि लेल गेल। सूत्रक अनुसार महुआड़ मोड़ स्थित पीएनबी के ग्राहक सेवा केन्द्रक संचालक मुकेश कुमार कार्यालय खोलि रहल छलाह, कि तखनहि मोटरसाइकिल सवार दू टा अपराधी हथियारक भय देखा क डेढ़ लाख रुपैया स भरल बैग लय क फरार भय गेल।

    घटनाक बाद मे हसपुरा थाना के अवगत कराओल गेल। सूत्रक अनुसार पुलिस मामलाक छानबीन कय रहल अछि। हालांकि एखन धरि कोनो तरहक सुराग नहि भेटल अछि।