स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेस ट्रेनक जयनगर तक भेल विस्तार

    0
    483

    दिल्ली,मधुबनी,मिथिला मिरर-रहुल कुमार राय/सुजित कुमार झाः दिल्ली सं चलि कय दरभंगा तक चलैवला स्वतंत्रता सेनानी सुपर फास्ट एक्सप्रेसक विस्तार जयनगर तक शुक्रदिन अर्थात 11 सितंबर 2015 सं शुरू कय देल गेल। पूर्व सं निर्धारित तिथीक अनुसार दिल्ली-दरभंगा स्वतंत्रता सेनानी सुपर फास्ट एक्सप्रेस आब अपन नव ठहराव जयनगर तक जेनाई शुरू कय देलक। 
    मिथिला मिरर कें इ जानकरी रेलवेक अधिकारी स्वर्णिम कुमार गुप्ता देलनि। स्वर्णिम कहला जे ई ट्रेन जयनगर सं प्रति दिन अपराह्न 2 बजे खुजत जे मधुबनी 2 बाजि क 39 मिनट पर पहुंचत। मधुबनी मे अहि ट्रेनक मात्र 2 मिनटक पड़ाव निर्धारित कैल गेल अछि। जेकर बाद सकरी जक्शन पर 2 बाजि क 58 मिनट मे पहुंचवाक समय छैक आ पुनः अहु ठाम मात्र 2 मिनटक पड़ावाक बाद ट्रेन दरभंगाक रेल रवाना भय जायत। दरभंगा मे अहि ट्रेनक पहुंचवाक समय 3 बाजि क 25 मिनट निर्धारित कैल गेल अछि जखन कि अहि ठाम ट्रेनक पड़ाव मात्र 5 मिनटक राखल गेल अछि। 
    अहिना दिल्ली सं चलि कय ई ट्रेन 5 बाजि क 50 मिनट सांझ मे दरभंगा पहुंचत जतय एकर पड़वाक पांच मिनटक हेतैक आ ओहि कें बाद सांझ 7 बाजि क 10 मिनट पर जयनगर पहुंचवाक समय निर्धारित कैल गेलैक अछि। बीच मे ई ट्रेन 2-2 मिनटक लेल सकरी जक्शन एवं मधुबनी मे पड़ाव पर रूकत। स्वतंत्रता सेनानी सुपर फास्ट एक्सप्रेसक परिचालन दरभंगा सं जयनगर धरि भेला पर स्थानीय जनता मे बहुत बेसी हर्ष अछि मुदा स्थानीय जनताक मोन मे अहि बातक कचोट सेहो देखना जा रहल अछि कि दिल्ली सं चलैवला बहुतायत ट्रेन जेना कि गरीब रथ आ आब स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेसक पड़ाव राजनगर मे नहि भेला सं आम यात्री कें अत्यधिक परेशानी हेतैक।