सुंदर गीत-संगीत सं भरल-पुरल अछि मैथिली फिल्म- हाफ मर्डर

    0
    756

    दिल्ली,मिथिला मिरर-जुली रानी झाः सन् 2012 में मधुबनीक बहुचर्चित प्रशांत आ प्रीति’क प्रेम प्रसंग आ सिर सं अलग धड़ आ ओहिक बाद भेल फसाद आ निर्दोषक बहैत शोनितक घटना पर साईंचरण इंटरटेनमेंट प्रा. लिमिटेड आ रामनाथ झा मधुबनीक अखन तक कें सब सं पैघ सामुहिक फसाद आ कथित प्रेम प्रसंग के सुनहरा पर्दा पर उतरवाक दुःसाहस कैलनि अछि। दरअसल, मैथिली में फिल्म निमार्णक विषय में सोचनाई अपना आप में एकटा भयावह स्वप्न सं कम नहि थिक मुदा फिल्मक निर्माता, निर्देशक रामनाथ झा एवं सह-निर्माता आदित्य नाथ मिश्र निश्चित रूपहि धन्यवादक प्रात्र छथि आ हिनका लोकनिक जतेक बेसी बड़ाई कैल जाय ओ कम छैक। फिल्मक निर्माण जखन शुरू भेल त ओहि में नानान तरहक बाधा-बिघ्न एलैक जाहि पर चर्चा दोसर दिन करब। फिल्म बनि कऽ तैयार अछि आ आगामी 3 अक्टूबर कऽ संपूर्ण भारत में एक संगे रिलीज कैल जायत। 
    फिल्मक म्यूजिक सीडी रिलीज भय गेल अछि आ ओ बाजा़र में सहज़ रूप सं अपने कें उपल्बध भय जायत। मिथिला मिरर आई फिल्म ‘‘हाफ मर्डर’’क गीत संगीतक लेखा-जोखा कय रहल अछि कि अहि सिनेमाक गीत-संगीत केहन छैक? हाफ मर्डर’क जे सीडी मिथिला मिरर कें भेटल अछि ओहिक अनुसार सिनेमा में कुल आठ गोट गीत छैक। सिनेमा में गीतकारक रूप में मिथिलाक प्रसिद्ध गीतकार, संगीतकार, लेखक चंद्रमणि झा, प्रसिद्ध गीतकार, लेखक आ पत्रकार सीयाराम झा सरस, सुनील कुमार पवन, रामनाथ झा आ शैलेश’क शामिल छन्हि। तहिना फिल्म में संगीत देने छथि मैथिलीक गायक, गीतकार आ संगीतकार सुनील कुमार पवन। फिल्म में जे सब अपन स्वर देने छथि ओहि में संगीत आ सुर सम्राट रविंद्र जैन, मोहम्मद अजी़ज़, उदित नारायण, कुमार शानू, कविता कृष्णमूर्ति, शान, ज्ञानेश्वर दुबे, विकास झा, राधा पांड्ेय, शैजेश, सुनील पवन आ रामनाथ झा। 
    आब जौं गीत-संगीतक लेखा-जोखा कैल जाय त सब सं पहिने सिनेता में संगीत आ सुर सम्राट रविंद्र जैन’क आवाज़ में जे गीत रिकार्ड भेल अछि ओ अछि ‘‘जानी ने केकर नज़रि लागि गेल’’ अहि गीत कें अपन मखमली आवाज़ सं रविंद्र जैन ओतेक सुंदर बना देने छथि जेकरा जतेक बेर सुनल जाय ओ कम अछि। ओहिना उदित नारायण आ कविता कृष्णमूर्ति द्वारा गाओल गीत ‘‘कियै हंसी-हंसी क नैना सं’’ जबरदस्त हिट गीत अछि जे एक बेर सं मैथिलीक अन्य सिनेमाक हिट गीत जे उदित जी गेने छथि ओहिक बराबर अछि। राॅक सुननिहार लोकनिक लेल शान द्वारा गैल गीत ‘‘कहिया तक अहिना, बजावैत रहु’’ सुपरहिट अछि तहिना हाई नोट पर कुमार शानू द्वारा गैल गीत ‘‘हाफ मर्डर’’ अपने कें झूमवाक लेल मजबूर कय देत। एक बेर फेर सं मैथिली सिनेमा में अपन दमदार आवाज़ में होली गीत ‘‘रंग उड़ैय गुलाल, आबि गेल होली’’ गाबि मो. अजी़जी सब कें झुमेवाक लेल तैयार छथि। 
    फिल्मक एक आओर युगल गीत कविता कृष्णमूर्ति आ सुनील पवन’क आवाज़ में गैल गेल अछि ‘‘अपन सजना पर हमरो गुमार, गे परान गे परान’’ अत्कृष्ट शब्द आ संगीतक चित्रण करैत अछि। तहिना फिल्म में ज्ञानेश्वर दुबे’क द्वारा गैल गेल बिरह गीत ‘‘जहिया सं धरती रानी’’ बहुतकाल तक सोझवाक लेल विवश करैत अछि तहिना विकास झा, राधा पांड्ेय और शैलेश कें आवाज़ में गैल गीत ‘‘नैन सं नैन’’ बरदस्त शमां बांधैत अछि। कुल मिलाकय गीत-संगीतक सुंदर मिश्रण सं बनल अहि सिनेमाक गीत बहुत दिनतक मैथिल समाज में अपना आप कें सबहक मुंह पर गुनगुनाईत रहत। मिथिला मिररक दिस सं अहि सिनेमाक गीत-संगीत कें ‘‘सवा चारि अंक’’ देल जा रहल अछि आ अहि सिनेमाक संपूर्ण टीम कें धन्यवाद दैत मिथिला मिरर प्रीमियर शो के बाद सेहो सहि चित्रण करत। अपने सब सं आग्रह जे अहि सिनेमाक सीडी खरीद सुंदर गीत-संगीतक आनंद उठाबी।