शिवानंद झा बनि सकैत छथि दिल्ली पुलिसक नव कमिश्नरः सूत्र

    0
    517
    दिल्ली-मिथिला मिररः भारतीय प्रशासनिक सेवाक 1983 बैचक तेजतर्रार पुलिस अधिकारी आ वर्तमानमे ‘अहमदाबाद’ गुजरात केर पुलिस कमिश्नर ‘शिवानंद झा’ दिल्ली पुलिसक नव पुलिस कप्तान बनि सकैत छथि। मिथिला मिरर टीम कें सूत्र सं भेटल रहल जानकारीक मुताबिक दिल्लीक कानून व्यवस्था कें चुस्त-दुरूस्त करवाक लेल आ वर्तामन केंद्र सरकार सं नीक तालमेलक कारणें शिवानंद झा’क नियुक्ति दिल्लीमे कैल जा सकैत छन्हि।
    शिवानंद झा एक परिचयः 
    अक्टूबर 2013मे तत्कालीन पुलिस कमिश्नर एसके सैकिया कें जगह पर शिवानंद झा केर अहमदाबाद पुलिस कें कमान सौंपल गेल छलनि। अहमदाबाद मे पुलिस कप्तान बनेवा सं पूर्व झा, गांधीनगर केर (एडिशनल डाॅयरेक्टर जेनरल-कानून व्यवस्था) कें पद पर छलाह। संगहि हुनका लग राज्य सीआईडीक अतिरिक्ति प्रभार सेहो छलनि। गोधरा दंगा केर जांच करवा लेल सर्वोच्च न्यायालय द्वारा गठित कैल गेल ‘एसआईटी’ स्पेशल जांच दल कें सदस्य सेहो छलाह मुदा बाद मे एपेक्स कोर्ट आदेश पर हिनका ओहि जांच टीमक हिस्सा सं हटा देल गेल छलनि।
    साबरमति सेंट्रल जेल तोड़बाक जे आतंकीक योजना छल ओहो केर जांच दलक हिस्सा रहल झा ओहि सं पहिने शहर कें डीसीपी, एडिशनल सीपी’क संग-संग डिप्टी म्यूनिशिपल कमिश्नर आॅफ पुलिसक संग-संग अनेकानेक पद सं स्थापित रहि चुकल छथि। शिवानंद झा केर छवि एकटा तेजतर्रार पुलिस अधिकारीक रूपमे होइत रहलनि अछि संगहि सूत्रक मानी त शिवानंद झा केर संबंध तत्कालीन गुजरातक मुख्यमंत्री सह देश प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सं सेहो बहुत घनिष्ठ बताओल जा रहल अछि। आब इ देखब दिलचस्प हैत कि अगर शिवानंद झा केर नियुक्ति दिल्लीक नव पुलिस कमिश्नरक रूपमे हेतनि त अहि ठामक आम आदमी पार्टीक सरकार अहि पर कोन तरहक प्रतिक्रिया देत से त आवै बला समय बताओत।