लालू लग दूत भेजि बीजेपी पर दवाब बनेवाक मांझीक नव पैतरा

    0
    350

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार विधानसभा सं पूर्व बिहारक दुनू राजनीतिक गठबंधन मे सब किछु सामन्य नहि चलि रहल अछि। एक दिस महागठबंधनक लेल बाट सहज नहि अछि त दोसर दिस सूत्र सं खबैर आबि रहल अछि जे बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री ओ हिन्दुस्तान अवामी मोर्चा ‘सेक्यूलर’क अध्यक्ष जीतन राम मांझी विधानसभा चुनाव मे बीजेपी पर दवाब बनेवाक लेल अपन एकटा दूत ‘महांचंद्र प्रसाद’ कें दिल्ली लालू प्रसाद यादव लग भेजलनि अछि। 
    मिथिला मिरर कें सूत्र सं भेटल जानकारीक मुताबिक मांझी विस चुनाव मे बीजेपी सं कम सं कम 35-40 गोटक चाहैत अछि मुदा बीजेपी कोनो भी हाल मे ‘हम’ कें ओतेक सीट देवाक लेल तैयार नहि अछि। अहि बात सं जीतन राम मांझी बीजेपी सं असंतुष्ट चलि रहल छथि। हालांकि जखन मिथिला मिरर बीजेपीक एकटा वरिष्ठ नेता सं अहि विषय मे बात केलक त हुनकर कहब छलनि जे चुनावक समय घटक दल द्वारा गठबंधनक पैघ दल पर एहन तरहक दवाब बनायब आम बात थिक आ अहि कें लय एतेक बेसी चिंतित हेवका कोनो आवश्यकता नहि अछि। 
    एहन मे जौं जीतन राम मांझी अगर एनडीए छोडि़ कोनो आन पार्टीक संग जेताह त ओ स्वयं मे उपहासक पात्र बनि जेतथि आ राजनीतिक स्तर पर हुनके टा क्षति हैत। खैर अपने बस बनल रहु मिथिला मिररक संग आ बिहारक राजनीति सं जुड़ल समस्त विषय पर खबैर सं अपडेट होइत रहु।