राजनगर सं संभावित बीजेपी उम्मीदवार रामप्रीत सं नाराज कैडर

    0
    471

    राजनगर,मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः मधुबनी जिलाक राजनगर विधानसभा (सुरक्षित) सीट सं बीजेपीक पूर्व विधायक ओ अहि विधानसभा सं पार्टीक संभावित उम्मीदवार रामप्रीत पासवान सं बीजेपीक स्थानीय समर्पित कार्यकर्ता मे असंतुष्टता देखल जा रहल अछि। स्थानीय कार्यकर्ताक कहब छन्हि जे हमरा लोकन्हि पार्टीक बरखों सं सेवा करैत आबि रहलौ अछि मुदा पार्टी एक बेर फेर सं अहि सीट पर रामप्रीत पासवान कें उम्मीदवार बनेवाक सोचि रहल अछि जाहि सं हम सब दुविधा मे फसल छी।
    दशकों सं पार्टीक कट्टर समर्थक रहल विमल कांत झा कहैत छथि जे हमरा लोकनि कें किछु समैझ मे नहि आबि रहल अछि कि हम सब आखिर की करू? पार्टी सं जुड़ल छी त ओकरो ध्यान मे राखय पड़त मुदा जखन पूर्व विधायक आ राजनगर सीट सं भाजपाक संभावित प्रत्याशीक चरित्र कें देखैत छी त मोन खिन्न भय जाइत अछि। इ बात सिर्फ विमल कांत झा’क नहि अपितु कतेको एहन पार्टीक कैडर छैथ जे अहि विषय पर एक मत राखैत छथि।
    पार्टीक एकटा तबका कहैत अछि जे रामप्रीत पासवानक जखन अगर पार्टी कोनो नौसिखिया आ अनाड़ी व्यक्तियों कें टिकट द देत त राजनगर सीट पर पार्टी आसानी सं जीत दर्ज कय लेत मुदा जौं रामप्रीत पासवान कें पार्टी एक बेर फेर सं उम्मीदवार बनाओत त पार्टीक लेल राजनगर सुरक्षित सीट बचायब मुश्किल भय जायत। बीजेपीक एकटा धराकें अहि बात कें अंदर खाना राजद समर्थक सेहो मानि रहल छैथ जे अगर पार्टी रामप्रीतक जगह कोनो अन्य व्यक्ति कें टिकट देत तखन ओहि सीट पर रामअवतार पासवानक लेल जीतब ओतेक सहज नहि हैत।
    हालांकि जखन मिथिला मिरर भारतीय जनता पार्टीक मधुबनी उपाध्यक्ष डाॅ. हरेराम कुंवर सं अहि बातक विषय मे पुछलक त हुनकर कहब छलनि जे कि अपने हमर चरित्र सं संतुष्ट छी? राजनीतिक जीवन मे अहिना विरोध चलैत रहैत छैक आ जरूरत पड़ला पर कियो केकरो पैर खिचवा सं चुकैत नहि अछि। रामप्रीत पासवानक राजनीतिक जीवन सबहक सोंझा अछि आ इ जनता कें तय करय दियौ जे अहि सीटक लेल कोन प्रत्याशी उपयुक्त छथि आ कोन नहि।