मेला में श्रद्धालुक लेल ठहरवाक समस्या

    0
    445

    जनकपुर,दिल्ली,मिथिला मिरर-गोपाल झाः मिथिलाक प्रसिद्ध विवाह पञ्चमी मेला देखबाक लेल जनकपुर आयल तिर्थालु सभके आने साल जका अहु बेर ठहरवाक समस्या देखल गेल अछि। मेला देखबाक लेल खास क भारत तथा नेपालक विभिन्न जि़ला सं लाखक संख्या में आयल तिर्थालु सभके लेल सरकारी स्तर स वास बैसबाक कोनो प्रकारक व्यवस्था नै कैल गेलाक कारणें समस्या उत्पन्न भेल अछि। विवाह पञ्चमी महोत्सव में प्रत्येक वर्ष हजारक संख्या मे तिर्थालु आइब रहला बादो जनकपुर मंे तिर्थालु सभहक वासक लेल कोनो ध्यान नै देल जा रहल अछि इ बात तिर्थालु सभक कहब रहल अछि। मेला में वास बेैसबाक ठाम नै पौला बाद तिर्थालु सभ जाड़क महीना होइतो सडक किनार, आ मठ मंदिरक प्रांगण में राइत बितेवाक लेल वाध्य भेल अछि।
    बिहारक दरभंगा सं विवाह पञ्चमी महोत्सब मे आयल इकगोटे तिर्थालु कहला हम विवाह पञ्चमी महोत्सब देखवाक लेल परिवार सहित दुर स एैल छि मुदा वास बैसबाक जगह नै भेटला स बारह बिगहाके खुलल मैदान मे राइत काटवाक लेल विवश छी। राइत कटवाक लेल स्थानीय धर्मशाला सभ मेक सेहो प्रयास कैलाके बादो जगह नै भेटल अछि। पैघ  पर्वक रुपमंे पांच दिन धैर मनौल जायबला विवाह पञ्चमी देखबाक लेल दर्शनार्थीके  संख्यामे दिन प्रति दिन वृद्धि भ रहला बादो सरकारी निकायके संगहि अन्य कोनो संघ-संस्था क समेत धर्मशाला निर्माण जेहन काज में ध्यान नै द रहल स्थानीयवासी सभके कहब रहल अछि। मेला देखबाक लेल आबय वला तिर्थालु सभहक संख्या में जनकपुर मे होटल,लाॅज, आ धर्मशालाक संख्या कम भेलाक कारणें तिर्थालु सभके वास बेसवाक लेल प्रत्येक वर्ष समस्या भोग पड़ैत अछि । स्थानीय किछ युवा क्लब सभ तिर्थालु सभहक वासक समस्याक ध्यान मे रखैत किछ स्थान मंे टेन्ट लगाक व्यवस्था कैला बादो सरकारी स्तर सं कोनो पहल नहि भय रहल अछि ।