मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कें आत्मचिंतन करवाक चाही-नीतीश मिश्र

    0
    318

    पटना,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः बिहार पूर्व मंत्री आ हिन्दुस्तान अवामी मार्चा सेक्यूलर कें प्रमुख नेता नीतीश मिश्र बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर राजनीतिक तंज कसैत कहला जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कें आत्मचिंतन करवाक नितांत आवश्यकता छन्हि। हम नेताक मानी त नीतीश कुमार अपन अहंकार ओ गलत निर्णय लेलाक कारणे आई अलथ थलग पडि़ गेलाह अछि।
    2010 मे जखन पार्टी चुनाव लड़ने छल तखन ओ बिहार मे सब सं बेसी 117 सीट आनि बिहारक राजनीतिक सब सं पैघ पार्टीक रूप मे जनता सोंझा आयल छल मुदा दू सालक भीतर पार्टी सं एक-एक कय एक चैथाई सं बेसीक संख्या मे नेता निकली गेल। एतबे नहि जाहि आधार पर पार्टी कें जनाधार भेटल छल मुख्यमंत्री ओहि आधार कें ध्वस्त कय देलाह आ कुर्सी बचेवाक लेल हर ओ निर्णय लेलनि जे हुनका लेल गरदैनक फांस बनि गेलनि। 
    मुख्यमंत्री पर आओर बेसी पटाक्षेप करैत नीतीश मिश्र कहलनि जे पहिने नीतीश कुमार जीतन राम मांझीक संग दुव्र्यवहार केलनि ओहिकें बाद महागठबंधनक घटक दल राष्ट्रवादी कांग्रेस पार्टीक संग सेहो ओहने छल कैल गेल। गठबंधन मे रहैत एनसीपीक संग जे व्यवहार कैल गेल ओ सर्वविदित अछि। आब चुनावक समय आबि गेल छैक आ एहन मे मुख्यमंत्री कें जनताक लग अपन हर ओहि निर्णय कें पेश करय पड़तनि जे बिहारक जनताक जनादेशक विरूद्ध हुनका द्वारा लेल गेल।