मधेशीक अधिकारक लेल एमएसयूक नेपाली दूतावासक घेराव

    0
    357

    दिल्ली-मिथिला मिररः नेपालक मधेशी (मैथिल) कें विरूद्ध नेपाल मे चलि रहल षड्यंत्र ओ मधेशी पर भय रहल नृशंस नरसंहारक विरोध मे शुक्रदिन मिथिला स्टूडेंट यूनियन नेपाली दूतावास कें घेराव कऽ अपन प्रदर्शन केलक। एमएसयूक कार्यकर्ता लोकनि नेपाली दूतावास पहुंच नेपली मैथिलीक सामान्य अधिकारक मुद्दा पर अपन अवाज बुलंद केलाह। 
    पैछला किछु मास सं नेपालक तराई क्षेत्र मे मधेशी पर कथित रूप सं नेपाल सरकार ओ नेपाली सेना द्वरा जाहि तरहक प्रयोजित हत्या करवा रहल अछि ओहि समस्त मुद्दा कें लय संस्था दिल्ली स्थित नेपाली दूतावास कें घेराव करवाक लेल पहुंचल मुदा ओहि ठाम भारी संख्या मे दिल्ली पुलिस सहित रैपिड एक्शन फोर्स (रैफ) कें तैनाती प्रशासन द्वारा कय देल गेल छल। दू गोट थाना पार्लियामेंट स्ट्रीट ओ बाराखंभा रोड थाना पूर्ण रूप सं प्रदर्शनकारी कें रोकवाक लेल तैयार छल।
    बाद मे संस्था कें कहल गेल जे अहां लोकनि कें प्रदर्शन करवाक जे स्वीकृति भेटल छल ओकरा रद्द कय देल गेल। तथापि एमएसयूक कर्ताकर्ता लोकनि अपन प्रदर्शन जारी रखलाह। बाद मे दू सदस्ये प्रतिनिधि मंडल धैर्यकांत मिश्र ओ विजय झाक संयुक्त अध्यक्षतामे जा नेपाली दूतावास जा ओहिठाम ज्ञापन देलाह। नेपाली दूतावासक अधिकारी लोकनिक निर्लजता त देखू ओ एमएसयूक सदस्य लोकनि कें कहलनि जे नेपाल मे एहन किछु भय रहल अछि ऐकर जानकारी हमरा लग नहि अछि।
    अहां सब किछु विलंब केलौह, अहां सब कें अहि मुद्दा कें लय किछु समय पहिने एबाक चाहि छल। फेर 7 दिनक समय लय संस्थाक प्रतिनिधिमंडल कें दोवार ऐवाक लेल कहल गेल। मिथिल मिरर नेपालक मैथिलक सामान्य अधिकारक लेल भारत सरकार सहित समस्त भारतीय मैथिल सं आग्रह कय रहल अछि जे बेसी सं बेसी अहि विषय पर सोची आ नेपाल सरकार कें मधेशी मैथिली पर भय रहल नरसंहार कें बंद करेवा सहित हुनकर अधिकार दियेवाक दिस सार्थक डेग बढ़ावी।