भागलपुर, मुजफ्फरपुर ओ बिहारशरीफ सूची मे, पटनाक नाम बाहर

    0
    441

    दिल्ली,मिथिला मिरर-अभिषेक मिश्रः प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक बहुप्रतिक्षित 100 गोट स्मार्ट शहरक नाम बृहस्पतिदिन सामने आबि गेल। संसदीय कार्य एवं केंद्रीय शहरी विकास मंत्री एम. वेंकैया नायडू 100 गोट शहर मे सं 98 गोट शहर कें नामक घोषणा क देलाह। मूल बात इ रहल जे बिहारक कोटा सं तीन गोट शहर कें स्मार्ट शहर बनेवाक लेल चिन्हित कैल गेल अछि। बिहारक कोटा सं जे शहर कें स्मार्ट शहर रूप मे विकासित कैल जायत ओहि मे भागलपुर, मुजफ्फरपुर ओ बिहारशरीफ कें नाम शामिल अछि।
    हालांकि स्मार्ट शहरक सूची मे सं बिहारक राजधानी पटनाक नाम बाहर अछि जे अपना आप कें एकटा ब्रेकिंग खबैरक रूप मे देखल जा रहल अछि। हालांकि बिहारक कोटा मे मात्र तीन गोट शहर नाम हेवाक कारणें मिथिला सहित बिहारक कतेको समाजिक ओ राजनीतिक संगठन विरोधक अवाज उठाबय लागत अछि।
    शहरी विकास मंत्री एम. वेंकैया नायडूक कहब छन्हि कि 98 गोट शहर कें 13 करोड़ व्यक्ति कें अहि सं लाभ भेटतनि। केंद्र अहि परियोजना मे पांच बरख मे कुल 48 हजार करोड़ टकाक अनुदान देवाक निर्णय लेलक अछि। नायडूक कहब छन्हि जे हमर मंत्रालय हर बरख 100 करोड़ टका संबंधित शहर कें देत मुदा प्रथम बरख 200 करोड़ टकाक मदद देवाक निर्णय लेल गेल अछि।