बिहार थिक पड़ोसी देश, दोसर पार्टी जौं वोट मांगय त जूता मारू

    0
    468

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार एकटा एहन प्रदेश अहि जे देश भरि मे सदिखन कोनो ने कोनो बहाने अपन नाम अवश्ये चर्चा मे रखवा मे विश्वास राखैत अछि। चाहे ओ देश मे मे एक सं बढि़ क एक नेता ओ ब्योरोक्रैट्स देला सं हो आ कि माल-जालक खाइ बला चारा, सड़क बनवै वला अलकतरा तक खा जेवाक घटना सं जुड़ल हो। चाहे ओ बिना परीक्षाक मास्टरक भर्ती सं जुड़ल हो आ कि गांव-गांव मे मदिरालय बना क हो। सदिखन सुर्खी मे रहब बिहारक पहिचान बनि चुकल अछि। 
    मुदा जहन बिहार देश भरि मे एतेक नमा कमा रहल हो त एहन मे बिहार सं अलग भय नव राज्यक रूप मे अपना आप कें स्थापति करय वला राज्य झारखंड कोना पाछु हटि कसैत अछि। बिहार जौं राबड़ी देवी सन मुख्यमंत्री द सकैत अछि त झारखंड नीरा यादव सन शीक्षा मंत्री बना त साबित करवाक लेल आगु आबियेटा गेल जे राज्य अलग भेलाक बादो अखनो झारखंड मे बिहार बसैत छैक। आब आउ बिहार ओ झारखंडक दू गोट एहन नेताक विषय मे परिचर्चा करब जिनकर कृत किछु अजीब मुदा हैरान करय वला नहि कहल जा सकैत अछि। 
    फोटो मे अपने जे चेहरा कें देख रहलौ अछि हुनका लोकनिक लेल कोनो विशेष पहिचानक अवाश्यकता नहि छन्हि। एकटा छथि बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी जिनकर मुंह सं चुनाव सं पहिने माहूरे टा निकली रहल छन्हि। राबड़ी देवी अपन एकटा कथित बयान मे जनता कें कहलनि जे जौं कोनो दोसर पार्टीक नेता अहां लग वोट मांगय जायत त ओकरा जूता खोली कय मारब। आब अहि बातक फैसला बिहारक जनता करय जे मुख्यमंत्री रहल राबड़ी देवीक अहि नसीहत पर ओ सब की सोचैत छैथ। 
    दोसर नेत्री छथि झारखंडक शिक्षामंत्री नीरा यादव छैथ जे किछु समय सं बहुत बेसी चर्चाक केंद्र विंदु रहलीह अछि। पहिले शिक्षा मंत्री जीवैत पूर्व राष्ट्रपति डाॅ. अब्दुल कलाम कें श्रद्धांजलि द देलनि आ एकरा दुर्भाग्य कहि आ कि दुर्घटना से नहि कहि अेाहिकें तीन दिन बादे कलाम साबेहक निधन भय जाइत छन्हि। ओहि विवाद सं निपटारा भेल की नहि मंत्री साहिबा एक बेर फेर सं अपन मुंह खोलैत कहलि जे बिहार पड़ोसी देश थिक। आब कहु जाहि राज्यक शिक्षा मंत्री अहि तरहक शिक्षित हेतीह त ओहि राज्यक जनता कें शिक्षित हेवाक कतेक संभावना रहत?
    हौ बाबू बिहार ओ झारखंडक सम्मानित जनता इ अपने लोकनि तय करू जे अहांक नेता केहन होइथ। एकटा जूता मारवाक सलाह दैत छैथ त दोसर जीवैत कें श्रद्धांजलि द दैत छैथ आ पड़ोसी राज्य कें पड़ोसी देश कहि अपन ज्ञानक परिचय सरेआम करा दैत छथि। हिनका दुनू कें ज्ञान देखि एतबे कहि सकैत छी हे बाबा अजगैवी आ वैद्यनाथ अहि रक्षा करू बिहारी ओ झारखंडी कें एहन-एहन नेता सं।