बिहारक राजनीति मे परिवारवादक शुभारंभ, आऊ देखि एक नजरि

    0
    462

    दिल्ली-मिथिला मिररः ओना त सियासत मे विरासत सौंपव अदौकाल सं चलैत आबि रहल अछि चाहे ओ रामायण हो अथवा महाभारत मुदा अहिठाम हमरा सब राजा रजवार सं निकली बिहारक सियासत मे देखि की कतय सं बिहारक राजनीति मे वंशवादक सूत्रपात भेलैक। ओना बिहारो मे राजनीति मे वंशज कें विरासत मे सियासत सौंपवाक इतिहास बड़ पुराण छैक।
    राजनीतिक पंडित कें मानी त बिहार मे कांग्रेसक दू गोट दिग्गज अनुग्रह नारायण सिंह ओ ललित नारायण मिश्र बिहारक राजनीति मे विरासत सौंपवाक शुरूआत केने छलाह। बिहार विभूतिक नाम सं मशहूर बिहारक दोसर मुख्यमंत्री अनुग्रह नारायण सिंह अपना पुत्र सत्येंद्र नारायण सिंह कें राजनीति मे अनलाह आ बाद मे सत्येंद्र नारायण सिंह बिहारक मुख्यमंत्री बनलाह। सत्येंद्र नारायण सिंह सेहो अपना पुत्र कें राजनीति मे अनलाह आ हुनकर पुत्र निखिल कुमार औरंगाबाद सं सांसद बनलाह आ बाद मे राज्यपालक पद तक पहुंचलनि।
    भारतीय राजनीतिक कद्दावर चेहरा ललित नारायण मिश्रक परिवार सेहो बिहारक राजनीति मे बेस सक्रिय छथि। ललित नारायण मिश्र अपना भाई जगन्नाथ मिश्र कें राजनीति मे अनलाह आ जगन्नाथ मिश्र तीन बेर बिहारक मुख्यमंत्रीक कुर्सी पर बैसलथि। हलांकि ललित नारायण मिश्रक बेटा विजय मिश्र सेहो भारतीय जनता पार्टी सं सांसद ओ विधायक रहला आ एखन वर्तमान मे जेडीयूक कोटा सं विधान पार्षद सदस्य छथि।
    विजय मिश्र जखन बीजेपी छोडि़ जेडीयू मे गेलाह तखन अपन विधानसभा सीट पर अपन बेटा ऋषि मिश्र कें चुनाव मे उतारलनि आ ऋषि एखन जाले विधानसभा सं विधायक छथि। ओमहर जगन्नाथ मिश्र सेहो अपना छोट पुत्र नीतीश मिश्र कें राजनीति मे अनलाह आ नीतीश बिहार सरकारक विभिन्न मंत्रालय मे मंत्री बनि बैसल रहलाह। एहरा अलावे सेहो बिहारक राजनीति मे बहुत रास नाम अछि जेना कि भागवत झा आजादक पुत्र कीर्ति आजाद सेहो राजनीति मे छैथ। रामविलास पासवान अपन छोट भाई रामचंद्र पासवान, पशुपति कुमार पारस ओ अपन बेटा चिराग पासवान कें राजनीति मे अनलाह।
    बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री बाबू जगजीवन रामक बेटी मीरा कुमार सेहो सक्रिय राजनीति मे छैथ आ संसदीय चुनाव जीति लोक सभा अध्यक्ष तक बनलिह। तहिना कर्पूरी ठाकुरक बेटा रामनाथ ठाकुर एखन राज्यसभा सांसद छथि। खगडि़या सं सांसद महबूब अली कैसर कें पिता सेहो राजनीतिक घाघ छलाह, पश्चिमी चंपारण बेतिया सं सांसद डाॅक्टर संजय जयसवाल कें सेहो राजनीति विरासत मे भेटल छन्हि। तहिना पूर्व सांसद आनंद मोहन सिंह ओ हुनकर पत्नी लवली आनंद सेहो समृद्ध राजनीतिक परिवार सं आवैत छथि। तहिना बिहार कांग्रेसक अध्यक्ष अशोक चैधरी सेहो राजनीति परिवार सं संबंध राखैत छथि। अहिकें अलावे लालूक वंशवाद त सर्वविदित अछि।
    ओना इ सूची एतबे नहि अछि अपितु इ संख्या बहुतायत अछि। आ जौं एकरा गहन पड़ताल कैल जाय त आओर बेसी तह तक जैल जा सकैत अछि।