पटनामे प्रधानमंत्री कैलनि अनेक योजनाक उद्घाटन ओ शिलान्यास

    0
    409

    पटना,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी पटनाक वेटनरी काॅलेज ग्राउंड मे आयोजित कार्यक्रम मे एक सं एक योजनाक शिलान्यास आ उद्घाटन कैलनि। प्रधानमंत्री मोदी जाहि कार्यक्रमक शिलान्यास आ उद्घाटन कैलनि ओहिमे प्रमुख अछि पटना आईआईटी भवनक उद्घाटन, दनियावां-बिहारशरीफ रेल लाइनक उद्घाटन, दीनदयाल ग्रामीण विद्युतीकरण योजनाक शुभारंभ, बरौनी खाद आ रिफायनरी कारखानाक शिलान्यास, जगदीशपुर-हल्दिया गैस पाइप लाइनक शिलान्यास, गेल योजाक शुभारंभ, पटना-मुंबई प्रीमियम एक्सप्रेसक शुभारंभ सहित अन्य योजना शामिल अछि।
    अपन संबोधन मे बाजैत बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीकें प्रधानमंत्रीक रूपमे बिहार आगवन पर हार्दिक बधाई देलाह आ प्रधानमंत्री द्वारा शुरू कैल गेल अनेक योजनाकें लेल प्रधानमंत्री सहित अन्य संबंधित मंत्री कें धन्यवाद ज्ञापन केलाह आ संगहि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मंचाशीन समस्त मंत्री आ प्रधानमंत्री सं आओर नव-नव कार्यक लेल आग्रह केलाह।
    अपना संबोधन मे प्रधानमंत्री मोदी कहलनि जे हमरा सबकें मिली जुली काज करवाक चाहि आ सब दुःखक एक मात्र दवाई छैक आ ओकर नाम छै विकास। जा धरि राज्य विकास नहि करत ता धरि देशक विकास संभव नहि अछि। अहि लेल सबगोटेकें एक संग काज करब बहुत बेसी आवश्यक छैक। विकासक काज मे राजनीतिक बाधक मात्र बनैत छै। प्रधानमंत्री मोदी, राज्यक मुख्यमंत्रीक सुर मे सुर मिलवैत लालू यादव पर परोक्ष रूप सं हमला करवा सं सेहो नहि बचलाह। बिहारक धरतीकें तेजस्वी धरती कहैत प्रधानमंत्री कहला जे अहि धरतीक पूत पूरा देशकें तेजस्वी बना कसैत अछि।
    प्रधानमंत्री मोदी बिहरक हर संभव मदद करवाक अपन बचन वद्धता दोहरावैत पैछला यूपीए सरकार पर सेहो निशाना सधलाह आ बिहारक उपेक्षाक लेल ओहि सरकर कें जिम्मेदार ठहरेला। मोदी कहला जे देश कें सब सं बेसी रेलमंत्री इ राज्य देलक मुदा राज्य कें रेल देवाक काज हम करब। जहिया तक देशक पूर्वी भाग समृद्ध नहि हैत ता धरि देशक विकास संभव नहि अछि। बिहारक विकासक संग-संग पूरा पूर्वी भारतक विकास हमर पहिल प्राथमिकता मे सं एक अछि। हम जे वादा केलौह ओहि सं बेसी बिहारक लेल दय क जायब अहां सब निश्चित रहु।
    कार्यक्रम मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक अलावे बिहरक राज्यपाल केसरीनाथ त्रिपाठी, राज्यक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केंद्रीय मंत्री सुरेश प्रभु, रामविलास पासवान, रविशंकर प्रसाद, पीयूष गेायल, धमेंद्र प्रधान, रामकृपाल यादव, उपेंद्र कुशवाहा, सांसद शत्रुघ्न सिन्हा, सुशील मोदी, नंद किशोर यादव सहित अन्य नेता उपस्थित छलाह। अपना संबोधन मे सबहक नाम त प्रधानमंत्री लेलनि मुदा सांसद शत्रुघ्न सिन्हाक नाम अपना मुंह सं नहि लेलाह। संगहि प्रधानमंत्री कें मिथिला पेंटिंग सेहो भेंट कैग गेलनि।