पंजाब बनल ‘एचआईएल’ चैंपियन

    0
    484
    दिल्ली,मिथिला मिरर-शिवेश कुमार झाः भारतीय कप्तान सरदार सिंह के अगुवाई में जेपी पंजाब वॉरियर्स एचआईएल के फाइनल मुकाबले में कलिंगा लांसर्स के 6-1 से हराकर लीग चैंपियन बनबाक गौरव प्राप्त केलक। लगातार तेसर बेर एचआईएल के फाइनल में जगह बनाब बला पंजाबक टीम प्रारंभहिं स आक्रामक खेल देखा मैच जितबाक अपन मनसुबा दरशा देने छल.
    पंजाबक टीम मैच में तीन मैदानी गोल दगलनि, जाहि स कलिंगा पर शुरुए स दबाब बनि गेल. कलिंगा दिस स मैच में एकमात्र गोल पेनाल्टी कॉर्नर पर भेल। पंजाब दिस स अरमान कुरैशी, मैट गोड्स और सतबीर सिंह गोल केलनि तहिना कलिंगा दिस स कप्तान मोरित्ज फ्यूरस्ते पेनाल्टी कॉर्नर के गोल में तब्दील केलनि।
    ज्ञात होबाक चाही कि पंजाब दिल्ली वेवराइडर्स के हरा फाइनल में स्थान बनेने छल, जहन कि कलिंगा के टीम ने गत चैंपियन रांची रेज के चौंका क खिताबी मुकाबले में प्रवेश केने छल। रांची में खेलल गेल अहि खिताबी मुकाबला में पंजाबक टीम उम्दा प्रदर्शन केलक जहन कि कलिंगा अहि मुकाबला में किछु कमजोर नजरी आयल।
    पंजाबक टीम के अहि जीत स ढाई करोड़ रुपया जहन कि उपविजेता कलिंगा के एक करोड़ 75 लाख रुपया भेटल। झारखंड के मुख्यमंत्री रघुबर दास विजेता टीम के खिलाड़ि के सम्मानित केलनि। इस अवसर पर हॉकी इंडिया के अध्यक्ष नरेन्द्र ध्रुव बत्रा, महासचिव मुस्ताक अहमद, झारखंड ओलम्पिक संघ के महासचिव एसएम हाशमी, हाकी इंडिया के उपाध्यक्ष सह यूपी के खेल निदेशक आरपी सिंह, तपन दास, राजेन्द्र सिंह, गायत्री सेठी, असुंता लकड़ा और हाकी झारखंड के अध्यक्ष भोलानाथ सिंह मौजूद छलाह।