जयपुर मे अखिल भारतीय स्वर्णकार विचार मंच के बैसार संपन्न

    0
    565

    दिल्ली, मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः 9 अगस्त 2015 के जयपुर मे अखिल भारतीय स्वर्णकार विचार मंच राष्ट्रीय बैसार राखल गेल छल जाहिमे समस्त स्वर्णकार के एक सूत्र मे बांधवाक प्रयास पर बल देल गेल। बैसारक मे एहि समस्त बिंदु पर विचार कायल गेल जेना-देश भरि के समस्त संस्था वा समिति के बीच आपसी समंन्वय स्थापित केनाइ, दहेज प्रथा सन सामाजिक कुरीति के दुर करबा दिस उचित कदम, शिक्षाक क्षेत्र मे स्वर्णकार सामाजक छात्र के प्रोत्साहन केनाइ, आइपीसी के धारा 411 एवं 412 पर चिंतन, समाज के स्थानीय समिति सभ के कार्यशील केनाइ आ समस्त स्वर्णकार बंधु के नामक संग सोनी जोड़बाक पर विचार आदि पर  विस्तार सं चर्चा कयल गेल। 
    एहि कार्यक्रम मे देशक विभिन्न प्रांत सं स्वर्णकार लोकनिक जुटान भेल छल जाहिमे बिहार सं स्वर्णिम कुमार, धर्मराज प्रसाद वर्मा, पंजाब सं विरेंद्र सोनी, आइएएस,ओएसडी विरेन्द्र वर्मा, मुख्यमंत्री राजस्थान शामिल छलाह। संस्थाक राष्ट्रीय अध्यक्षक बनवारी सोनी, उपाध्यक्ष जितेंद्र सोनी, महासचिव, अंकित सोनी, नरेन्द्र सोनी आदि लोकनिक दिन-राति के मेहनत सं कार्यक्रमक आयोजन भेल आ सफल सेहो रहल।