एनडीए सं अलग हेवाक प्रश्ने नहि, सीटक बंटवारा सं हैरान-चिराग

    0
    369

    दिल्ली-मिथिला मिररः लोक जनशक्ति पार्टीक संसदीय बोर्डक अध्यक्ष ओ सांसद चिराग पासवान दिल्ली मे संवाददाता सम्मेलन कऽ लोक जनशक्ति पार्टीक एनडीए सं नाराजगीक बात पर विराम लगा देलनि। प्रेस काॅन्फ्रेंस मे चिराग कहला जे एनडीए सं अलग हेवाक त कोनो प्रश्ने नहि ठाढ़ भय सकैत अछि कारण जतय नमहर परिवार रहैत छैक ओहिठाम मतभेद सं संभव छैक मुदा मनभेदक कोनो जगह नहि।
    चिराग कहला जे हम आ हमर पार्टी उपेंद्र कुशवाहा ओ जीतन राम मांझीक क्रमशः 23-20 सीट देलाह सं नाराज नहि अछि हां लोक जनशक्ति पार्टी कें जाहि तरहें सीट देल गेल ओहि सं हम सब थोड़ेक हैरान परेशान छी। कारण जे मापदंड आन घटक दलक लेल अपनाओल गेल ओहने किछु एलजेपीक लेल सेहो हेवाक चाही छल। 
    चिराग कहला जे हम कतेको बेर संवाददाता सम्मेलन ओ सार्वजनिक मंच सं अहि बातक घोषण क चुकल छी जे हमरा सबहक बीच कोनो मतभेद नहि अछि आ लालू-नीतीश कें हरेवाक लेल हमसब तैयार छी। टीवी पर नाराजगीक जे खबैर आबि रहल छल ओकरा हम खंडन क रहल छी। कुशवाहा ओ मांझी हमरा परिवारक सदस्य छैथ आ हुनका लोकनिक लेल हमरा मोन मे कोनो तरहक कुविचार नहि अछि।