एनडीए मे सीटक बंटवारा संपन्न, मांझी खुश, नाराज पासवान

    0
    461

    दिल्ली-मिथिला मिररः तमाम ना नुकुरक बाद आखिरकार सोमदिन राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन अर्थात एनडीए मे सीटक सहमति आ घोषणा भय गेल। बीजेपी अध्यक्ष अमित शाहक अगुआई मे रामविलास पासवान, उपेंद्र कुशवाहा आ जीतन राम मांझी सहित बीजेपीक समस्त आला नेताक उपस्थिति मे बीजेपी मुख्यालय सं सीटक घोषणा कैल गेल। अगिला विधानसभा चुनाव मे बीजेपी-160, लोजपा-40, रालोसपा-23 ओ हम-20 गोट विधानसभा सीट पर अपन उम्मीदवार उतारत।
    सीट बंटवारक बाद समस्त घटक दल अहि बात सं इंकरा कैलनि जे हुनका लोकनिक बीच कोनो तरहक मदभेद छन्हि मुदा किदु कालक बाद एहन खबरि आबय लागल जे बीजेपीक अपना चुनाव चिन्ह पर मांझी पांच गोट अन्य उम्मीदवार कें चुनाव मे लड़ओत। अहि बात सं रामविलास पासवान खिन्न भय गेलाह कारण लोजपाक हिसाबे ओकरा विधानसभा चुनाव मे किछु कम सीट देल गेल। 
    हालांकि बीजेपी अध्यक्ष अमित शाह कहलनि जे इ एनडीएक चुनाव छी आ हर घटक दलक उम्मीदवारक पक्ष मे प्रधानमंत्री मोदी चुनाव प्रचार करताह। ओमहर आरजेडी सहित समस्त राजनीतिक दल अहि बातक चर्चा करैत नजैर आयल जे एनडीए मे मांझीक उपेक्षा भय रहल अछि। जन अधिकार मोर्चाक अध्यक्ष पप्पू यादव सेहो कहला जे मांझीक संग एनडीए मे दुव्र्यवहार भय रहल अछि आ हुनका अहि दिस ध्यान देवाक चाहि। 
    आब इ देखब दिलचस्प हैत कि आखिर रामविलास पासवान कतेक काल तक अपन नराजगी अमित शाह ओ बीजेपी तक राखि सकैत छथि।