सीतामढ़ी मे गाछ सं लटकल भेटल युवकक लहास

    0
    278

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: बिहार मे सीतामढ़ी जिला के सहियारा थाना क्षेत्रक छौरहिया गामक निकट पेड़ सं लटकल एकटा युवकक लहास भेटल अछि। स्थानीय गामीण द्वारा सूचना भेटला पर पुलिस घटनास्थल पर पहुँच कय लहास के उतारलक अछि।

    पुलिस सूत्रक अनुसार मृत व्यक्तिक पहिचान छौरहिया गाम निवासी लाल बाबू पासवान (23) के रुप मे कायल गेल अछि। पुलिस लहास के कब्ज़ा मे लय पोस्टमार्टम के लेल पठा देलक अछि। पुलिस प्राथमिकी दर्ज कय घटना के जाँच कय रहल अछि।