विश्व प्रसिद्द सोनपुर मेला प्रारंभ, सूई सं लय क हाथी धरि भेटैत अछि एतय

    0
    283

    सोनपुर, मिथिला मिरर: विश्व प्रसिद्ध सोनपुर मेलाक शुभारंभ शनिदिन सं भय गेल। एक महीना धरि चलय वला अहि मेलाक लेल पूरा इलाका के सजेबाक काज लगभग पूरा भय गेल अछि। मेला के मुख्य पंडाल के बेहद खूबसूरत अंदाज मे सजाओल गेल अछि। मंचक खूबसूरती मे चार चांद लगेबाक लेल पहिल बेर मंचक पिछला भाग मे एकटा बड़का एलईडीटीवी स्क्रीन सेट लगाओल गेल अछि।

    मेलेक उद्घाटन पर्यटन मंत्री अनीता देवी के हाथ भइल। गौरतलब अछि जे, कार्तिक पूर्णिमा के अवसर पर लगय वला ई मेला एक महीन धरि चलैत अछि। मेला मे भाग लेबय के लेल दूरदराज स लोक आबाजाही शुरू भय गेल अछि।

    सोनपुर मेला के पशु मेला के रूप मे सेहो जानल जाइत अछि। एतय छोट-पैघ जानवरक खरीददारी आ ब्रिकी करबाक लेल बाहर सं व्यापारी अबैत अछि।