पटना मे मातम, गंगा मे नाव डूबला सं 21 गोटेक मौत

    0
    325

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक राजधानी पटना मे शनिदिन एकटा बड़का हादसा भय गेल। जिला प्रशासन दिस सं आयोजित पतंग उत्सव मे भाग लय वापस आबि रहल नाव पटनाक एनआईटी घाट पर डूबि गेल, जाहि मे 21 लोकक मौत भय गेल। सिटी एसपी चंदन कुशवाहा आ आपदा प्रबंधन विभाग हादसा मे एखन धरि 21 गोटेक मौत हेबाक बात कहलनि अछि। नाव मे सवार किछु लॉक एखनहु लापता बताओल जा रहल अछि। घायल के पीएमसीएच के इमरजेंसी वार्ड मे भर्ती कराओल गेल अछि।

    नाव डूबलाक सूचना पर मौका पर पहुंच कय एसडीआरएफ के टीम तुरंत मोर्चा संभारलक आ लोक के बचेबा मे जुटि गेल। मौका पर पहुंचल पटना के एसएसपी मनु महाराज कहलनि जे, एखन पूरा मामलाक जांच कायल जा रहल अछि। नाव पर कतेक लोक छल एकर जानकारी उपलब्ध नहि अछि।

    हड़साक बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अधिकारी के मामलाक जांचक निर्देश देलनि। ओ मृतक के परिजन के तुरंत अनुग्रह राशि देबाक आदेश देलनि। ओ ट्वीट कय कहलनि जे, ‘गंगा दियारा मे नाव डूबलाक घटना दुखद अछि। मुख्यमंत्री विभाग के बचाव आ राहत काज मे तेज़ी अनबाक निर्देश देलनि।’

    दरअसल, मकर संक्रांति के लय जिला प्रशासन दियारा इलाका मे पतंग उत्सवक आयोजन केने छल। साँझ भेलाक बाद वापसी के दौरान ई हादसा भेल। नाव पर ओवरलोड छल, जाहि कारने ई हादसा भेल अछि। जानकारीक अनुसार नाव पर 40 सं अधिक लोक मौजूद छल। नाव पर सवार लोक मे अधिकांश बच्चा बताओल जा रहल अछि।