वाट्सएप पर वायरल भेल इंटर कें भौतिकी’क वस्तुनिष्ठ प्रश्न

    0
    278

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे जारी इंटरमीडिएट परीक्षा कें तेसर दिन परीक्षाक प्रश्न पत्र वाट्सएप पर खूब वायरल भेल। आरा के अलावा समस्तीपुर मे सेहो परीक्षा शुरू होइते प्रश्न पत्र  वाट्सएप पर वायरल भय गेल।

    पहल पाली मे विज्ञान संकाय के तहत भौतिकी’क परीक्षा भय रहल छल। परीक्षा केंद्र सं बाहर निकलला पर जहन वायरल पेपर सं मिलान कायल गेल त प्रश्न आ वायरल प्रश्न पत्र सही पाओल गेल। खास बात त ई छल जे, भौतिक विज्ञान परीक्षा कें ऑब्जेक्टिव प्रश्नक सेट वायरल प्रश्न पत्र मिलल त ओतहि गैर वस्तुनिष्ठ प्रश्न पत्र अलग निकलाल।

    सवाल फेर सं उठय लागल अछि जे, तमाम चौकसीक बीच मूल प्रश्न पत्र कोना बाहर आयल आ वाट्सएप पर कोना वायरल भेल। समस्तीपुर मे प्रशासन दिस सं कदाचार रोकबाक लेल विद्यार्थीक कपड़ा तक उतरवा देल गेल ताकि चिट पुर्जा अंदर नहि जा सकय।

    वाट्सप पर पिछला दिन भेल जीव विज्ञानक प्रश्न पत्र सेहो वायरल भेल छल। जे, अफवाह साबित भेल। मुदा बृहस्पति दिन वायरल भेल प्रश्न पत्र पूर्ण रूपे मिलान केला पर सही साबित भेल अछि।