दू दशक बादो फाइलमे बंद अछि जलापूर्ति योजना

    0
    293

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी नगर परिषद क्षेत्रमे घर तक जलापूर्ति योजना दू दशक सं ठप अछि। घरमे लगाओल गेल पाइप व नलक नामोनिशान तक मिटा गेल अछि। नप कार्यालय परिसरमे वाटर मीनार महज शोभाक वस्तु बनल अछि। भूमिगत पाइप जगह-जगह क्षतिग्रस्त भेल पड़ल अछि। आम लोककें पेयजल मुहैयाक लेल बनल वाटर स्पॉट आब नजरि नहि अबैत अछि। नप क्षेत्रमे गाड़ल करीब दर्जनो चापाकल पाइप व फिल्टरमे गड़बड़ीक कारण बंद भेल अछि। अहि बीच मुख्यमंत्री सात निश्चयके तहत हर घर नल जलक व्यवस्था सं लोककें पेयजल आपूर्तिक आस जागल। बहरहाल हर घर नल जलक योजना एखन फाइलमे बंद अछि।

    नप क्षेत्रमे वर्षो पूर्व पेयजलक मुख्य श्रोतके रूपमे नप’क जमीन पर निर्मित कुआंके अस्तित्व पर संकट मंडरा रहल अछि। नप क्षेत्रक दू दर्जन सं अधिक कुआंकें लोक द्वारा पूर्ण रुपे अतिक्रमण कएल जा रहल अछि। बेशकीमती भूखंड पर अतिक्रमित कुआंकें मुक्त कराकय फेर सं जीवित करबामे अक्षम साबित भय रहल अछि।

    नप क्षेत्रक विभिन्न हिस्सामे कुल दू दर्जन कुआंकें अतिक्रमित तकरीबन 10 कट्ठा भूमिक मूल्य करोड़ोमे आंकल जा सकैत अछि। सब कुआंकें जीवित कय शहरी क्षेत्रमे पेयजलक समस्या पर काबू पाओल जा सकैत अछि।