सीमा पर शहीद भेलाह मधुबनी’क लाल, सम्पूर्ण मिथिला मर्माहत

    0
    502

    मधुबनी, मिथिला मिरर: झंझारपुर के रैयाम निवासी स्व0 शिवरुद्र मिश्रक सब सं छोट पुत्र विकास कुमार मिश्र जम्मू-कश्मीर के कुपवाड़ा ज़िला केर माछिल सेक्टर मे आतंकी संग लोहा लेवाक क्रम मे शहीद भय गेलाह। जाहि सं समस्त मिथिला क्षेत्र मर्माहत अछि। चारि भाई आ दू बहिन मे विकास सब सं छोट छलाह। 25 वर्षीय शहीद जवान विकास कुमार मिश्र अविवाहित छलाह, जे वर्तमान मे श्रीनगर मे बीएसएफ के चौकी पर पोस्टेड छलाह।

    सेना के मुताबिक पाकिस्तानी सैनिक बुधदिन भोर में आठ बाजीकय 45 मिनट सं नियंत्रण रेखा पर नौशेरा सेक्टर मे 82 एमएम मोर्टार स गोलीबारी शुरू केलक। फेर पुंछ के कृष्णा घाटी सेक्टर मे दुपहर पौने दू बजे ऑटोमेटिक हथियार आ 120 एमएम मोर्टार स गोलाबारी कायल गेल।

    भारतीय सैनिक सेहो अहि के जबाब मे कार्रवाई केलक। सेनाक कार्रवाई मे पाकिस्तानक बहुतो चौकी के भारी नुकसान पहुंचल अछि। पाकिस्तानक फायरिंग मे पिछला दू दिन मे तेसर जवान शहीद।