कम समय मे विश्वविद्यालय’क पीड़ा दूर करबाक प्रयास होयत : कुलपति

    0
    340

    दरभंगा, मिथिला मिरर: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के नवनिर्वाचित कुलपति प्रो. राजकिशोर झा कहलनि जे, अहि विश्वविद्यालय आ कॉलेजक अधिकांश समस्या स वाकिफ छी। विवि मे गत वर्ष मे संवादहीनताक कारण परेशानी बढ़ल अछि। जाहि के कम समय मे दूर करबाक प्रयास कायल जायत। सीएम कालेज मे मंगलदिन अप्पन सम्मान मे आयोजित समारोह के संबोधित करैत लनामिविवि के कुलपति ई बात कहलनि।

    ओ कहलनि जे, हम दिल स छात्र, शिक्षक व कर्मीक हित मे काज करय चाहैत छी। समय पर न्याय नहि भेटनाय अन्याय के श्रेणी मे अबैत अछि। ताहि दुआरे विधि सम्मत पूर्वक सब समस्याक निदान करब। मौका पर कुलपति के पिता कॉलेजक पूर्व प्रधानाचार्य डॉ. बमबम शंभू दत्त झा’क सेहो अभिनंदन कायल गेल। ओ अप्पन पुत्र सं कहलनि जे, हम अहि विवि मे सेवा दय एतय धरि पहुंचलहू। एतय के शिक्षक व कर्मी के पूर्व मे जे दर्द देल गेल ओकर विधिपूर्वक निदान करबाक प्रयास हो।