मुखिया संघ लेलक काज मे गुणात्मक सुधार’क संकल्प

    0
    330

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: प्रखंड क्षेत्रक मौजी गाम मे शनिदिन मुखिया सुजाता देवी’क अध्यक्षता मे प्रखंड मुखिया संघक बैसक कायल गेल। जाहि मे बहुतो महत्वपूर्ण निर्णय लेल गेल। प्रखंड मुखिया संघक अध्यक्ष रामनारायण मंडल कहलनि जे, बैसक मे सर्वप्रथम अप्पन-अप्पन कार्य पद्धति मे गुणात्मक सुधार अनबाक संकल्प लेल गेल। राज्य सरकार सं बहुतो मांग कएलगेल।

    मांग मे जन वितरण प्रणाली मे भयरहाल व्यापक अनियमितता आ पंचायतक अनुश्रवण समितिक नजरि अंदाज कय विक्रेता द्वारा मनमानी ढंग सं राशन केरोसिन वितरण पर रोक लगेबाक, लाभुक के बीच राशन केरोसिन कम तौल पर रोक लगेबाक, पंचायती राज अधिनियमक अंतर्गत पंचायत स्तरीय कर्मचारीक बिना सूचनाक पंचायत के छोड़िकय जेबा पर रोक लगेबाक सब पंचायत कर्मीक पंचायत मे उपस्थितिक आधार पर वेतनक भुगतान करबाक, सब पंचायत मे अलग-अलग पंचायत सचिवक प्रतिनियुक्त करबा सहित बहुतो मांगे शामिल अछि।

    मौका पर मुखिया सुधांशु कुमार पप्पू, ममता कुमारी, महराज पासवान, मो. सत्तार, सीता देवी, गीता देवी, राम सखा राय, अमरेश कुमार, राजीव कुमार सिंह, विभा मंडल, राजी गुप्ता, प्रशांत कुमार राय, अमित कुमार ठाकुर, केदार राउत आदि मौजूद छलाह।